maithili sabji baigan aalu adori

बैगन, आलू आ अदौरी के मिलौनी

ई मिथिला मे प्रयुक्त लोकप्रिय डिश थिक, जेकर उपयोग रोटी आ चावल दुनूक संग कएल जा सकैत अछि । ई अदौरिक संग बनै वला मिश्रित सामग्री थिक । एकरा बनेबाक लेल मुख्य सामग्री बैगन, आलू आ अदौरी थिक, तथापि किछु लोक एहि मे मूली, टमटर, बंद गोभी आदि सेहो दऽ दैत छथि तथा यदि एकरा पंचफोरना सँ छौंकल जाय, तँ एकर अलगे स्वाद लगैत अछि । एकर सभ सब्जी पहिने अलग-अलग बनाओल जाइत अछि आ बाद मे एकरा मिला देल जाइत अछि आ उबालल जाइत अछि ।

सामग्री


बैगन - २००ग्राम
आलू - १५० ग्राम
मूली - १०० ग्राम
टमाटर - ५० ग्राम
रेप्सिड तेल - २० मि.ली.
पंचफोरना (तोरी, जीरा, मेथी, मंगरैला आ सौंफ) - ३-४ ग्राम
धनिया पाउडर - १० ग्राम
लहसुन पीसल - १० ग्राम
नमक - स्वाद के अनुसार
धनिआ पत्ता - १० ग्राम

तैयारी : टमाटर आ बैगन के काटि लिअ । आलू के छिल्का सहित उबालि लिअ आ छिल्का उतारि के एकरा तोड़ि दियौ । मूली के सेहो काटि लिअ । अदौरी के अलग सँ फ्राय कऽ लिअ आ एकरा अलग सँ राखि लिअ । लहसुन के नीक सँ काटि लिअ ।

बनेनाई : बरतन मे तेल गरम कऽ लिअ आ ओहि मे पंचफोरना दऽ दियौ । मसाला फूटला पर ओहि मे काटल लहसुन दऽ दियौ । धनिया पाउडर आ मिर्च पाउडर (ऐच्छिक) दऽ दियौ आ एकरा ता धरि भूजू, जा धरि कि एकर कच्चापन नै चलि जाय । टमाटर दऽ दियौ आ एकरा जल्दी गलबाक वास्ते एहि मे कनेक नमक दऽ दियौ । आब कनेक काल मसाला मे बैगन भूजू । एकर बाद आलू दऽ दियौ आ एकरा नीक सँ मिला दियौ । अहाँ एहि चरण पर मूली सेहो दऽ सकैत छी । सभटा के नीक सँ मिला दियौ । कने पानि मिला दियौ आ एकरा उबलय दियौ । १० मिनट ठंढा होमय दियौ । आब अहाँक व्यंजन तैयार अछि । आब एहि मे काटल धनिया पता मिला कऽ परसू । 

tags - maithili khanpan, maithili khana, etc

Post a Comment