Maithili khanpan kathar k katlet banabe ka bidhi

कटहर के कटलेट

सामग्री - कटहर- पाव भरि छिलल कमरी निकालल आ छोट टुकड़ा कयल, प्याज-१ टा पैघ, आद- १ पैघ टुकड़ा, हरियर मिरचाई - ४ टा, पुदीनाक पात, दालचीनी - १ टुकड़ा, नोन - स्वादक अनुसार, हरदि- स्वादानुसार, कार्नफ्लोर १ पैघ चम्मच, तेल - १ बाटी

विधि: कटहर के टुकड़ा के धो लिअ । प्रेशर कुकर मे कनी नोन आ हरदि, दालचीनीक संग उसीन लिअ । प्याज, आद, हरियर मिरचाई, पुदीना सब के धो कऽ छोट टुकड़ा कऽ लिअ । कटहर के टुकड़ा ठंढ़ा भेला पर नोन आ सब कटल मसाला मिला आ कार्नफ्लोर मिला कऽ हाथ सँ नीक जकाँ मसलि दियौ । आब आँच पर कड़ाही चढ़ा गरम भेला पर तेल दऽ दियौ । तेल गरम भेला पर कटहर के छोट-छोट लोइ बना कऽ हाथ सँ दबा कऽ तरि कऽ निकालि लिय । गरम-गरम परसू ।

tags- maithili khanpan maithili khana, katahar ke kaklet

Post a Comment