Maithili khanpan katahar bahr banabe ka bidhi

कटहर बहार

सामग्री : आधा किलो छिलल कमरी निकालल कटहर, आद दू टा पैघ टुकड़ा कद्दूकस कैल, हरियर मिरचाई छोट टुकड़ा काटल- चारि टा, धनियाँ गुच्छी - १ धो के काटल, पीसल धनियाँ - २ पैघ चम्मच, लाल मिरचाई पाउडर - आधा चम्मच, हरदि पीसल - चौथाई चम्मच, नोन - स्वाद के अनुसार, हींग, तेजपात, लवंग, ५ टा छोटकी अड़ांची, दालचीनी, जीर, दही एक बाटी, कड़ू तेल - एक बाटी, घी - १ पैघ चम्मच, गरम मसाला पीसल - १ छोट चम्मच

विधि : छिलल आ कमरी निकालल कटहर के छोट-छोट टुकड़ा कऽ कऽ धो लिअ । चूल्हा पर कड़ाही चढ़ा कऽ आँच जराऊ । कड़ाही गरम भेला के बाद दू चम्मच तेल कड़ाही मे दियौ । कनी जीर फोड़न दऽ कऽ कटहर के टुकड़ा तेल मे दियौ । कनी नोन आ हरदि दऽ कऽ झाँपि दियौ । आँच कम करू । दस मिनट तक उलटि-पलटि कऽ भुजला के बाद कड़ाही मे सँ कटहर निकालि लिअ । आब बचल तेल कड़ाही मे दियौ । गरम भेला के बाद लवंग, अड़ाँची, जीर, हींग, तेजपात. दालचीनी के फोड़न दियौ । तड़कलाक बाद आद दियौ । सब पीसल मसाला एक चम्मच पानि दऽ कऽ घोरि कऽ आद भुजला के बाद दियौ । कनी काल मसाला एकसार होबऽ दियौ । दोसर आँच पर दू गिलास पानि गरम करु । गरम पानि कटहर मे दऽ दियौ । आँच कम कऽ दियौ । कटहर सिद्ध भेला पर घी, गरम मसाला, हरा धनियाँ दऽ कटल हरियर मिरचाइ दियौ । गरम-गरम भात संग खाउ ।

tags - Maithili khanpan maithili khana, Kathar bahar

Post a Comment