कटहर के कोफ्ता
सामग्री : कटहर- पाव भरि छिलल कमरी निकालल आ छोट टुकड़ा कयल, प्याज-१ टा पैघ, आद- १ पैघ टुकड़ा, हरियर मिरचाई - ४ टा, टमाटर - दू टा पैघ लाल, धनियाँ गुच्छी - १ धो के काटल, पीसल धनियाँ - २ पैघ चम्मच, लाल मिरचाई पाउडर - आधा चम्मच, हरदि पीसल - चौथाई चम्मच, नोन - स्वाद के अनुसार, लवंग - ५, ५ टा छोटकी अड़ांची, जावित्रीक फूल - आधा टुकड़ा, दालचीनी, तेजपात- २ टा, नारियल कद्दुकस कैल - १ कटोरी, कड़ू तेल - एक बाटी, घी - १ पैघ चम्मच, गरम मसाला पीसल - १ छोट चम्मच, कार्न फ्लोर - १ पैघ चम्मच,
विधि - कटहर धो कऽ नोन, हरदि, दू टा अड़ाँची, २ टा लवंग, आधा टुकड़ा दालचीनी, एक टुकड़ा जावित्री दऽ कऽ एक बाटी पानि दऽ कऽ प्रेशर कुकर मे तीन- चारि सीटी लगा कऽ उसीन लिअ । ठंढ़ा होबऽ दियौ । प्याज, आद, हरियर मिरचाई, हरा धनियाँ सब धो कऽ छोट-छोट काटि लिअ । टमाटर कद्दूकस कऽ लिअ । उसनल कटहर के खूब नीक जकाँ हाथ सँ मसलि लिअ । नारियल मे आधा आद, हरियर मिरचाइ आ हरा धनियाँ मिलाऊ । कटहर के छोट-छोट गोली बना कऽ ओई मे नारियल बला मसाला भरु । गोली बन्द कऽ दियौ । आब कड़ाही मे तेल गरम करू । कार्नफ्लोर एक कटोरी मे दऽ कऽ दू चम्मच पानि मिलाऊ । कटहरक गोली कार्नफ्लोर मे डुबा कऽ तेल मे उलटि पलटि सुनहरा होबऽ तक तरि कऽ निकालि लिअ । दोसर आँच पर २ पैघ बाटी पानि गरम होबऽ लेल चढ़ा दियौ । आब तेल मे तेजपात, लौंग, अड़ाँची, दालचीनी के फोड़न दियौ । तड़कला के बाद प्याज दियौ । सुनहरा होबऽ तक भूजू । तखन कद्दुकस कैल टमाटर मिलाऊ । तखन तक भूजू जखन मसाला एक सार भऽ जाय आ टमाटर के महक निकलि जाय । ओकर बाद गरम कैल पानि कड़ाही मे दियौ । रस खदकि गेलाक बाद कोफ्ता दियौ । ५ मिनट बाद घी, गरम मसाला, हरा धनियाँ, हरियर मिरचाई कटल दऽ कऽ आँच बन्द कऽ दियौ । गरम परौठाक संग खाय मे नीक लागत ।

Post a Comment