जगत जननी मैया जानकीक जन्मभूमि आ महर्षि याज्ञवल्क्य, गौतम, कपिल, कणाद आदिक कर्मभूमि रहल मिथिला प्राचीन भारतीय संस्कृति आ दर्शनक संवाहक वर्त्तमान धरि रहल अछि |
राजा निमिक देह स उत्पन्न मिथि द्वारा पालित भूमि मिथिला में उत्पत्तिक कारने सीता आ एतुका भाषा मैथिली आ बसिंदा मैथिल कहौलन्हि | भौतिक एश्वर्य आ अध्यात्मिक उत्कर्ष स परिपूरित मिथिलाभूमि पर मर्यादा पुरुषोत्तम श्री राम द्वारा अहल्याक उद्धार आ सिताक पाणिग्रहण कैल गेल |
जगतगुरु शंकराचार्यक दर्पक खंडन केनिहार भारती मंडन केर भूमि पर मैथिल कवि-कोकिल विद्यापति, अयाची मिश्र, मदन उपाध्याय ,गोनू झा आदि सन कतेको विभूति अवतरित भेल छथि| मिथिलाक प्राचीन संतान में एहन दिव्यात्मा सभ छलाह जनिक जन्म स इ कृतकृत्य आ संसार प्रसिद्द भs गेल अछि|
वैज्ञानिक तथ्य पर आधारित परंपरा "पंजी- प्रबंध" क निर्माण एत` सात सौ(७००) वर्ष पूर्वहि भs गेल छल| मिथिलाक पावनि-तिहार में नैतिक आ खेल कूद में ब्रम्हज्ञानक रहस्य समायल अछि| गंगा स हिमालय आ गण्डकी स कौशिकी धरि विस्तृत मिथिला भूमि पर देवी तीर्थ आ शिव तीर्थ ठाम ठाम पसरल अछि | एत` हस्तशिल्पक विकास लोकजीवन शैलीक अनुरूप भेल छल| बलिराज गढ़, जयमंगलागढ़ आदि ऐतिहासिक स्थल पुरातत्व विभागक लेल आ राज दरभंगा द्वारा कतेको ठाम निर्मित भवन, मंदिर, पोखरि आदि पर्यटन विभागक वास्ते महत्वपूर्ण भs सकैत अछि |
एहन गौरवपूर्ण अतीतक स्वामिनी मिथिला आई उपेक्षित छथि| मिथिलाक प्राचीन संस्कृतिक आ ऐतिहासिक धरोहरक रक्षा आ मिथिलावासी में संवादहीनता क` स्थिति समाप्त करबाक उद्देश्य स http://www.maithilisongsjagat.co.in/ क` निर्माण भेल अछि |
जय मिथिला, जय मैथिलि, जय मैथिल
Tags - maithili mithila, maithil, jay mithila, jay maithili, jay maithil,, mithilanchal, jay mithilanchal, about mithila, about maithili, about maithil, about mithilanchal
Post a Comment