हे शेरोवाली मैया जगदम्ब अहाँ - प्रकाश ठाकुर

माँ भगवती & प्रकाश ठाकुर

  हे शेरोवाली मैया , जगदम्ब अहाँ,!
नै कियो हमर ककरा की कहबई सुनु अहाँ!!
ककरो आश नै हे मैया बिनु अहाँ !
की हम  अहिना कनैत रहबे, बिनु अहाँ!!

बीत गेल समय अहिना ओहिना!
नै पूजा पाठ  केलो कहियो !!
भैर जनम केलो हम पाप हे मैया!
तखन कोना उधार हेते हे मैया !!

जीवन बीत गेल अभिमाने म माँ!
नहीं ज्ञान ध्यान क़ रास्ता देखेलौ माँ !!
तै चारू ओर अन्हारे अन्हार हे माँ !
आबो एक बेर ध्यान दियौ हे माँ !!


अहाँ  छोरि  के  सुनते हे मैया !
सबटा बुझैत तयो नै ध्यान दै छि माँ!!
हमहु त$ छि अहि क़ बेटा हे माँ!
क़ दिय दया आब हाथ धरु हे माँ !! 
                                     प्रकाश ठाकुर 

प्रकाश क फोटो देखे क लेल क्लिक करू  - प्रकाश क फोटो 
प्रकाश क दोसर कविता देखे क लेल क्लिक करू - हिनक दोसर कविता  
                                                                         गे बुच्ची क ले विवाह  क़ लेल अत$ क्लिक करू
 

Post a Comment