हकार


मेधावी छात्र-छात्राक संवर्धना समारोह आओर सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजन
-----------------------------------------------------------------------------------
कोलकाताक समीस्थ रिषड़ा स्थित एकटा समर्पित मैथिल संस्था मिथिला नव चेतना समितिक चारिम वार्षिकोत्सवक अवसर पर 17 मार्च 2013 (रविदिन) के 4 बजे रिषड़ा स्थित रबीन्द्र भवनमें प्रतिभा संवर्धन कार्यक्रम आयोजित कयल गेल अछि जाहिमें मेधाबी छात्र - छात्राकें हुनक उत्कृष्ट शैक्षणिक उपलब्धि पर सार्वजनिक रुपमें हुनका सबके पुरस्कृत आ प्रोत्साहित कयल जायत। एहि सम्मान समारोहमें वयोवृद्ध मैथिल समाजसेवी श्री किशोरीकान्त मिश्र आ वरिष्ठ साहित्यकार श्री रामलोचन ठाकुर जीक शोभायमान साम्मान्य उपस्थिति में सम्मान समारोह सम्पन्न होयत। मैथिल उद्योगपति व शुभचिन्तक श्री शारदानन्द झा जी कार्यकर्मक उद्घाटन एवं मिथिला नवचेतनाक वरिष्ठ सदस्य श्री जयकुमार मिश्रा जी अकर अध्यक्षता करताह । प्रख्यात शिक्षाविद श्री भोगेन्द्र झा प्रधान वक्ताके रुपमें, सुप्रसिद्ध समाजसेवी श्री युगल किशोर झा जी विशिष्ट अतिथिक रुपमें तथा युवा समाजसेवी एवं उद्योगपति श्री जिबेन्द्र मिश्रा जी प्रधान अतिथिके रुपमें उपस्थित रहताह। श्री रंजीत कुमार झा एहि कार्यकर्मक संचालन करताह।

सम्मान समारोहक उपरान्त मिथिलाक पारम्परिक गीत आ विध-व्यवहार पर आधारित सांस्कृतिक कार्यक्रम आयोजित होयत जाहिमें गीत-नादक संग संग भाव- नृत्यक प्रस्तुति होयत। जनार्दन ओझा म्यूजिकल ग्रूपक संगीत संयोजनमें स्थानीय कलाकार श्री राजकुमार मिश्रा, ईश्वर चन्द्र झा व्यास, श्री ललन झा द्वारा विभिन्न गीत-नादक प्रस्तुति विशेष रमनगर रहत । सोनू एन्ड डान्स ग्रूपक नृत्य प्रस्तुति सेहो दर्शकके खूब मनोरंजन करत ।

एहि अवसर पर समस्त मैथिल केर उपस्थिति अपेक्षित एवं काम्य अछि।- 

Report- भास्कर झा
 

Post a Comment