ठार केश मुह बानर सनक!
नाकपिचा, कनबुच्चा छौरा!!
आँख बिलैर सं छौ दतुच्चा!
किया मारे छ$ आँख उच्चका!!
पैर सनक नै मुह छौ तोहर !
जो आइना म तू देखन आ !!
इ जैन क हमरा हस्सी लागा!
कि तुहू करे छ$ हम्मार पिछा!!
फुटपाथ बला शर्ट पहिर क $!
की होई छौ "सलमाने" छि!!
नै किछ चलतऔ अत$ बौआ!
भाग परा , जो अनकर पीछा !!
तोरा सन - सन चन्नी हजार!
कतेको करे छइ हम्मर पीछा !!
तू कोन गाछक फूल छिय रौ !
जे क$ देबो हम हाँ हां !!
बाप केनाहु दिन काटे छौ !
बेच - बेच दूध आ तरकारी !!
माई घुमे छौ बारी - बारी !
ताकर बेटा तू करे फुटानी !!
घर में माँ - बहिन नै छौ कि !
ज़ो करिह$ ओकरे आगाँ पिछा !!
तु छ$ नाजायज निर्लज्जा !
नई कर हममर आगा पीछा !!
नै कर ककरो पीछा बौआ !
अहि मे छऊ तोहर भलाई !!
जौ अहिना करैत रहम$ तू !
कहियो हेतो सन्डिल स धुलाई !!
प्रकाश क फोटो देखे क लेल क्लिक करू - प्रकाश क फोटो
प्रकाश क दोसर कविता देखे क लेल क्लिक करू - हिनक दोसर कविता
प्रकाश क दोसर कविता देखे क लेल क्लिक करू - हिनक दोसर कविता
Tags - maithili, mithila, mithilanchal, maithili poem, maithili kavita, prakash thakur, prakash kumar, maithili poet prakash thakur, prakash thakur rachna
Post a Comment