प्रकाश ठाकुर |
गे बुच्ची क ले विवाह हमरा स !
भेटतो नै ऐहेन कतो तोरा बाबु क !!
हम छि छः हाथक करा जवान ,
डोका सन - सन आँख वीरान ,
देखते हमर मुह भा ज़ेम$ दीवाना,
गे बुच्ची जल्दी भ$ जो रवाना ,
हम छि बाबु क एकलौता बेटा ,
नै चिंता ऐछ बहिन वियाहक ,
हम तू रहब ठाठ स$ दिलजानी ,
क$ ले विवाह बैन जो हमर रानी
हम छि १२ बीघा क मालिक ,
डॉक्टर क डिग्री ऐछ संगे ,
आबो मैन जो बात हमर गै
जूइन करे छ अपना पर ऐना गुमान गै
नै चाही दहेज़ प्लस स्प्लेंडर
जूइन डरे छ भीतर - भीतर
किया करैत छौ मन छः पाँच
नै लगा हमरा दिल में आंच
हा या नै किछ कैह दे एक बेर
ब्याकुल छई प्रकाश सुने लेल
गे बुच्ची क ले विवाह हमरा स !
भेटतो नै ऐहेन कतो तोरा बाबु क !!
प्रकाश क दोसर कविता देखे क लेल क्लिक करू - हिनक दोसर कविता
Post a Comment